हम छी कलाकार आ मनीष हमर नाम I
जिला मधुबनी, बड़हारा हमर गाम II
पढ़ल लिखल कम्मे-सम्मे, केने छी बी.कम,
जिनगी हमर बिन घोड़ा के टमटम I
दू भाई में जेठ छी घरक लगाम,
हम छी कलाकार आ मनीष हमर नाम II
एकहारा हार काठ सूखल अचार छी,
पनिगर छी खूब जेन महिना अखाढ छी I
जोरगर बिहाडि में खसै छी धड़ाम,
हम छी कलाकार आ मनीष हमर नाम II
छोट-छीन परिचय सुनबै छी मीत हम,
ज्ञानक अभाव तहियो लिखै छी गीत हम I
एहि आमक बाज़ार में हम ठुर्री लताम,
हम छी कलाकार आ मनीष हमर नाम II